मिथिला मखान

मिथिला मखान
निर्देशकनीतिन नीरा चन्द्र
निर्मातानीतु चन्द्र

समिर कुमार

नीतिन चन्द्र
लेखकनीतिन नीरा चन्द्र
कलाकारक्रान्ति प्रकाश झा

अनुरित्ता झा पंकज झा

अरुण कुमार झा
छायाँकनकर्ताजस्टिन जे. च्याम्बर्स , संजय खानजोडे
प्रदर्शित तिथि
२ अक्टुबर २०२०

मिथिला मखान नितिन चन्द्रद्वारा निर्देशित एकटा मैथिली भाषाक फिल्म छि जाहिमे अनुरिता झा, क्रान्ति प्रकाश झा आ पंकज झा अछि।[]

उदित नारायण, हरिहरन, सुरेश वाडकरसोनू निगम जकाँ महान गीतकारसभ फिल्ममे गीतक लेल पार्श्व आवाज देने अछि।

ई फिल्म ६३म् राष्ट्रिय फिल्म पुरस्कारमे भाषा अनुभागक अन्तर्गत सर्वश्रेष्ठ मैथिली फिल्मक पुरस्कार जीतने छल। ई फिल्म एहन किसिमसँ राष्ट्रिय पुरस्कार पाब बला बिहारझारखण्डक पहिल मैथिली फिल्म छि।[] मैथिलीमे सर्वश्रेष्ठ फिल्मक पुरस्कार जीतए के बाहेक, "मिथिला मखान" केर आधिकारिक रुपसँ मई, २०१६ मे टोरन्टोमे दक्षिण एसिया के अन्तर्राष्ट्रिय फिल्म महोत्सव (आईएफएफएसए), जागरण फिल्म महोत्सव - २०१६ मे सूचना आ प्रसारण मन्त्रालय, नयाँ दिल्ली आ एनएफएआई, पुणेद्वारा आयोजित राष्ट्रिय फिल्म महोत्सव - २०१६ के लेल सेहो नामांकन कएल गेल छल। ई फिल्म अमेरिका, क्यानाडा, भारतनेपाल मे फिल्माएल गेल उच्च बजेट बला फिल्म छि।[] एकरा क्यानाडा मे माइनस ३५ डिग्री सेल्सियस आ भारतनेपाल मे प्लस ४५ डिग्री सेल्सियस तापमानमे शूट कएल गेल छल।[]


कलाकारसभ

  • क्रान्ति प्रकाश झा क्रान्ति प्रकाश केर रूपमे
  • अनुरीता झा मैथिली के रूपमे
  • पंकज झा ब्रह्मा के रूपमे
  • प्रशान्त राणा
  • साकेत कुमार मिश्रा मैथिली के भाई के रूपमे


प्रोडक्सन

मिथिला मखानका निर्माण समीर कुमार (आईआईटी, आईआईएम, पूर्व आईएएस-सहयोगी, निवेश बैंकर) आ चम्पारण टकीज, अभिनेत्री-उद्यमी नीतू चन्द्रा आ हुनकर भाई नितिन नीरा चन्द्राक प्रोडक्सन हाउसद्वारा कएल गेल छल, जे फिल्मक निर्देशक छि। फिल्मक प्रारम्भिक विचार निर्देशक केर मोनमे तखन आएल जखन ओ सन् २००८ केर कोशी बाढि के समयमे एकटा एनजीओ के सँगमे काज करि रहल छल आ ओ लोगसभक दोसर देशसभमे काज खोजबाक आवश्यकता केर बारेमे सोचि रहल छल।

अप्रैल २०५ मे, बिहार मे शूटिङ समाप्त करलाक बाद टिम वास्तवमे हतोत्साहित छल। निर्देशक आ डीओपी केर सल्लाह छल जे फिल्म केर बक्समे छोडि देल जाए। निर्माता, समीर कुमार आगा निवेश करबाक आ मूल योजनाक अनुसार फिल्मके पूरा करबाक साहसिक निर्णय लेलक। एकर बाहेक ओ आवश्यक सेन्सर प्रमाणपत्र प्राप्त करबाक पश्चात फिल्म के राष्ट्रिय पुरस्कारसभक लेल प्रस्तुत करबाक समय सीमा निर्धारित केने छल। फिल्म राष्ट्रिय पुरस्कार जीतलक।

पुरस्कार आ ख्याति

  • राष्ट्रिय फिल्म पुरस्कार मैथिली फिल्म के लेल[]
  • टोरन्टो मे दक्षिण एसिया के अन्तर्राष्ट्रिय फिल्म महोत्सवक लेल आधिकारिक चयन
  • पटना अन्तर्राष्ट्रिय फिल्म महोत्सवमे प्रदर्शित[]
  • एनएफएआई, पुणेमे प्रदर्शित कएल गेल[][][] [१०][११]

सन्दर्भ की झलक

  1. timesofindia.indiatimes.com सङ्ग्रहित २०१६-०४-०२ वेब्याक मेसिन
  2. thehansindia.com सङ्ग्रहित २०१६-०६-२४ वेब्याक मेसिन
  3. boxofficeindia.co.in सङ्ग्रहित २०१६-०६-२४ वेब्याक मेसिन
  4. "National Awards 2016: Here is the complete List of Winners", The Indian Express, २२ सितम्बर २०२०, मूलसँ २८ मार्च २०१६ मे सङ्ग्रहित। 
  5. "National Awards 2016: Here is the complete List of Winners", The Indian Express, २२ सितम्बर २०२०, मूलसँ २८ मार्च २०१६ मे सङ्ग्रहित। 
  6. bollywooddhamaka.in सङ्ग्रहित २०१६-०३-२२ वेब्याक मेसिन
  7. nfaipune.nic.in सङ्ग्रहित २०१६-०९-२३ वेब्याक मेसिन
  8. newsgram.com सङ्ग्रहित २०१६-०५-३० वेब्याक मेसिन
  9. bollywooddhamaka.in सङ्ग्रहित २०१६-०३-२२ वेब्याक मेसिन
  10. nfaipune.nic.in सङ्ग्रहित २०१६-०९-२३ वेब्याक मेसिन
  11. newsgram.com सङ्ग्रहित २०१६-०५-३० वेब्याक मेसिन