श्वेता बासु प्रसाद
श्वेता बासु प्रसाद Shweta Basu Prasad | |
---|---|
![]() | |
जन्म | श्वेता बासु प्रसाद जनवरी ११, १९९१ |
राष्ट्रियता | भारतीय |
व्यवसाय | अभिनेत्री |
सक्रिय वर्ष | २००२–वर्तमान |
जीवनसाथी(सभ) | रोहित मित्तल (वि. २०१८) |
अभिभावक(सभ) | अनुज प्रसाद सर्मिस्था बासु |
सम्बन्धी | राहुल (भाए) |
श्वेता बासु प्रसाद एक भारतीय अभिनेत्री छी। ओ अपन करियरक शुरुआत एकटा बाल कलाकारक रुपमे हिन्दी चलचित्र सँ केनए छल। एकर बाद ओ तेलुगु, बङ्गाली आ तमिल सिनेमामे सेहो मुख्य अभिनेत्रीक रुपमे अभिनय केनए अछि। सन् २००२ मे श्वेता बासु बलिउड चलचित्र मकडी मे एकटा बाल कलाकारक भूमिका निभेलक जकर प्रशंसा चलचित्र विशेषज्ञसभ सेहो केनए छल आ एहि चलचित्रक लेल हुनका सर्वश्रेष्ठ बाल कलाकारक लेल राष्ट्रिय चलचित्र पुरस्कार सहो प्राप्त भेल छल।
प्रारम्भिक जीवन
श्वेता बासु प्रसादक जन्म जमशेदपुर, बिहारमे भेल छल (जे एखन झारखण्डमे अछि)। एकर बाद ओ अपन परिवारक सङ्ग वाल्यकालमे मुम्बई चलि गेल।[१] हुनकर पिता अनुज बिहार सँ अछि आ माता सरमिष्टा पश्चिम बङ्गाल सँ अछि।[२] श्वेताक दादा इन्टेलिजेन्स ब्युरोमे एक प्रमुख परिचालन अधिकारीक रूपमे सेवानिवृत्त भेल छल। हुनकर पिता अनुज श्रीराम केन्द्र, नयाँ दिल्ली सँ एक निर्देशन आ अभिनय डिप्लोमा धारक छी। श्वेता आरएन पोडार उच्च विद्यालय, सेन्टाक्रुज, मुम्बई सँ वाणिज्यकें अध्ययन केनए छल। ओ अपन माताक पहिल नाम 'बासु' सेहो अपन स्क्रीन नाममे जोड़लक। [३]
करियर
११[४] वर्षक आयुमे प्रसाद अपन अभिनय करियरक शरूआत केनए छल। हुनकाद्वारा अभिनित पहिल चलचित्र 'मकडी' छी। विशाल भारद्वाजद्वारा निर्देशित 'मकडी' चलचित्रमे ओ बहु भूमिका 'चुन्नी' आ 'मुन्नी' कें किरदार निभेलक, जकरा लेल हुनका सर्वश्रेष्ठ बाल कलाकारक लेल राष्ट्रिय चलचित्र पुरस्कार सेहो प्राप्त भेल छल। एकटा बाल कलाकारक रुपमे ओ 'करिश्मा का करिश्मा' आ 'कहानी घर घर की' जका टिभी धारावाहिकमे सेहो काज केनए छल।[५] सन् २००५ मे, ओ चलचित्र 'इकबाल' मे खदिजा नामक किरदारक रुपमे अभिनय केनए छल। ई चलचित्रमे हुनकर दमदार अभिनयक लेल हुनका ५म् कराची अन्तर्राष्ट्रिय चलचित्र उत्सवमे सर्वश्रेष्ठ सहायक अभिनेत्रीकें पुरस्कार सहित कयन पुरस्कार प्राप्त भेल।[६]सन् २००८ मे ओ तेलुगु सिनेमा 'कोठा बंगारू लोकं' सँ करियर शुरू केलक आ ई चलचित्र व्यावसायिक रुप सँ सफल रहल।
फिल्मोग्राफी
सन्दर्भ सामग्रीसभ
- ↑ "Interview with Shweta Basu Prasad". www.idlebrain.com. Retrieved 2008-10-30.
- ↑ "Interview with Shweta Basu Prasad". www.idlebrain.com. Retrieved 2008-10-30.
- ↑ Shweta Prasad's name games. Hindustan Times (2007-11-26). Retrieved on 2012-06-21.
- ↑ "Interview with Shweta Basu Prasad". www.idlebrain.com. Retrieved 2008-10-30.
- ↑ PIB Press Releases. Pib.nic.in (2003-07-26). Retrieved on 2012-06-21.
- ↑ 5th KaraFilm Festival – Karachi International Film Festival 2005. Karafilmfest.com. Retrieved on 2012-06-21.
बाह्य जडीसभ
![]() |
विकिमिडिया कमन्समे श्वेता बासु प्रसादसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |