सङ्खुवासभा जिला
सङ्खुवासभा जिला Sankhuwasabha District | |
---|---|
![]() | |
देश | ![]() |
प्रदेश | पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्र |
अञ्चल | कोशी |
गाउँपालिका सङ्ख्या | ३३ |
नगरपालिका सङ्ख्या | खाँदवारी नगरपालिका चैनपुर नगरपालिका आर मादी नगरपालिका |
सदरमुकाम | खाँदवारी नगरपालिका |
क्षेत्रफल | |
• कुल | ३४८० किमी२ (१३४० वर्गमाइल) |
जनसङ्ख्या (२०६८[१]) | |
• कुल | १५८७४२ |
• घनत्व | ४६/वर्ग किमी (१२०/वर्ग माइल) |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय) |
मुख्य भाषासभ | नेपाली, राई गुरुङ |
वेबसाइट | ddcsankhuwasabha.gov.np |
सङ्खुवासभा जिला नेपालके एकटा जिला अछि । सङ्खुवासभा नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक कोशी अञ्चलमे अवस्थित हिमाली भेगक एक दुर्गम जिला छी। ई जिला पूर्वमे ताप्लेजुङ आ तेह्रथुम, पश्चिममे सोलुखुम्बू आ भोजपुर जिला, उत्तरमे चीनक तिब्बत आ दक्षिणमे तेह्रथुम आ धनकुटा जिलाक चौबन्दीमे रहल अछि। ई नेपालक कुल क्षेत्रफलक २.३६%, पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक १२.१९% आ कोशी अञ्चलक ३५.६८% भू-भाग ओगटने अछि। समुन्द्री सतहसँ ४५७ मिटर (संसारक सभसँ छोटका अरुण उपत्यका) सँ विश्वक पाँचम उंच हिमशिखर मकालु ८४६३ मिटरधरिक उचाईमे रहल ई जिला २७ डिग्री ६' उत्तरसँ २७ डिग्री ५५' उत्तरी अक्षांशधरि आ ८६ डिग्री ५७' पर्वसँ ८७ डिग्री ४०' पूर्वी देशान्तरधरि फैलल अछि। उत्तरतर्फ चौडा भागमे मनोरम हिमाली श्रृंखलासभसँ सजल ई जिलाक दक्षिणतर्फ साँगुरल गेल भागमे बसोबासयुक्त पहाडी भूभाग रहल अछि। ई जिलाक आर्थिक श्रोत कृषिमे निर्भर रहल अछि। आर्थिकरूपसँ सक्रिय जनसंख्या ६०.७३% होएतो ओकर ७७.६२% कृषिमे आ २२.३८% गैरकृषि पेशामे निर्भर अछि।
जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत सङ्खुवासभा जिला कऽ नक्सा
निर्वाचन आयोग (नेपाल) द्वारा निर्धारण कएल गेल, जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत सङ्खुवासभा जिला कऽ नक्सा नीचा देल गेल अछि। [२]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
- ↑ Household and population by districts, Central Bureau of Statistics (CBS) Nepal
- ↑ निर्वाचन आयोग नेपाल सङ्ग्रहित २०१४-०६-१८ वेब्याक मेसिन, निर्वाचन आयोग नेपाल कऽ आधिकारिक वेबसाइटमे उपलब्ध नक्सा.
एहो सभ देखु
बाह्य जडीसभ
(नेपाल सम्बन्धी लेखक अंश) |
प्रशासनिक विभाजन |
---|
![]() |
नेपाल पोर्टल हिमालय पोर्टल |