मधेश प्रदेश
मधेश प्रदेश | |
---|---|
घडीक दिशामे शीर्ष सँ जानकी मन्दिर, कंकालिनी मन्दिर, नेपालक प्रवेशद्वारा वीरगञ्ज, छिन्नमस्ता मन्दिर, गढीमाई मन्दिर आ कोशी बाँध | |
राष्ट्र | नेपाल |
स्थापना | २० सितम्बर २०१५ |
राजधानी | जनकपुर (आस्थायी) |
पैग शहर | वीरगञ्ज |
जिला | ८ |
सरकार | |
• अङ्ग | मधेश प्रदेशक सरकार |
• राज्यपाल | सुमित्रा भण्डारी |
• मुख्यमन्त्री | सतिश कुमार सिंह (जनमत पार्टी) |
• उच्च अदालत | जनकपुर उच्च अदालत |
• प्रदेश सभा | एकसदनीय (१०७ सिट) |
क्षेत्रफल | |
• कुल | ९६६१ किमी२ (३७३० वर्गमाइल) |
• क्रम | ७अम |
जनसङ्ख्या (२०११) | |
• कुल | ५४,०४,१४५ |
• क्रम | दोसर |
• घनत्व | ५६०/वर्ग किमी (१४००/वर्ग माइल) |
• क्रम | प्रथम |
वासिन्दा | मिथिला |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय) |
आधिकारिक भाषासभ | मैथिली, भोजपुरी आ नेपाली |
अन्य भाषासभ | बज्जिका, थारु आ उर्दु |
एचडिआई | ०.४८५ (न्यून) |
साक्षरता | ४९.५४% |
लैङ्गिक अनुपात | १०१.१८ ♂ /१०० ♀ (२०११) |
मधेश प्रदेश नेपालक दक्षिणपूर्वी क्षेत्रमे अवस्थित एक प्रदेश छी । नेपालक संविधान २०७२ लागू भेलाक बाद ई प्रदेशक स्थापना कएल गेल छल । ई नेपालक दोसर सभ सँ बेसी जनसङ्ख्या भेल आ[१] क्षेत्रफलक आधारमे सभ सँ छोट प्रदेश छी । ई प्रदेशक पूर्व दिशामे कोशी प्रदेश, उत्तर दिशामे कोशी प्रदेश आ बागमती प्रदेश, पश्चिम दिशामे बागमती प्रदेश आ दक्षिणमे भारतक अन्तर्राष्ट्रिय सीमा अछि । ई प्रदेशक क्षेत्रफल ९,६६१ किमी२ (३,७३० वर्ग माइल) अछि । सन् २०११क जनगणना अनुसार ई प्रदेशक जनसङ्ख्या ५४,०४,१४५ रहल अछि जे एकरा नेपालक सभ सँ बेसी मानव जनघनत्व भेल प्रदेश बनौने अछि ।[२]
पूर्वमे सप्तरी जिला सँ लऽ पश्चिममे पर्सा जिला धरि फैलल ई प्रदेशमे कूल ८ जिला अछि । ई प्रदेशक अधिकांश लोक मैथिली, भोजपुरी आ नेपाली बजैत अछि ।[२]धार्मिक आ सांस्कृतिक धरोहरक केन्द्रक रूपमे रहल उपमहानगर जनकपुर, जनकपुरधामक रूपमे सेहो जानल जाएत अछि ।[३][४] प्राचीन किम्बदन्ती अनुसार ई विश्वास कएल जाएत अछि जे ई क्षेत्र विदेह वंशक राजधानी छल जे प्राचीन मिथिला पर राज्य केनए छल ।[३]
नेपालक पहिल टाउन प्लानिङ करि बैसाएल गेल शहर राजविराज नेपालक चारिम आ तराई क्षेत्रक सभ सँ पुरान नगरपालिका छी ।[५][६][७] ई शहरक नाम प्राचीन राजदेवी मन्दिरक नाम पर राखल गेल विश्वास कएल जाएत अछि जकर स्थापना सन् १७०० मे भेल छल । ई प्रदेशक एक मात्र महानगरपालिका वीरगञ्ज व्यापारिक आ आर्थिक रूप सँ महत्वपूर्ण अछि । ई शहरकें नेपालक प्रवेशद्वार सेहो कहल जाएत अछि ।[८][९][१०][११][१२][१३]
सन् २०१८ जनवरी १७ मे भेल नेपालक मन्त्रीपरिषदक बैठकक निर्णयानुसार ई प्रदेशमे अवस्थित जनकपुरकें अन्तरिम राजधानी घोषित कएल गेल अछि ।[१४]मधेश प्रदेश प्रदेशसभा निर्वाचन, परिणामस्वरूप जनमत पार्टीक संसदीय नेता सतिश कुमार सिंह प्रदेशक तेसर आ वर्तमानमे मुख्यमन्त्री छी ।[१५][१६] ई प्रदेशक नाम मधेश या मिथिला या भोजपुरा रखवाक प्रस्ताव कएल गेल छल मुदा अखन सहमति भऽ एकर नाम मधेश प्रेदेश छी।[१७]
भूगोल
ई प्रदेश निम्नलिखित क्षेत्र सँ घेरल अछि:[१८]
- पूर्वमे सुनसरी जिला, कोशी प्रदेश
- पश्चिममे चितवन जिला, बागमती प्रदेश
- उत्तरमे मकवानपुर जिला, सिन्धुली जिला, बागमती प्रदेश आ उदयपुर जिला, कोशी प्रदेश
- दक्षिणमे भारतक अन्तर्राष्ट्रिय सीमा ।
नेपालक केन्द्रीय तथ्याङ्क विभागक अनुसार ई प्रदेश नेपालक कूल क्षेत्रफल १,४७,१८१ किमी२ (५६,८२७ वर्ग माइल)[१९]मे सँ ९,६६१ किमी२ (३,७३० वर्ग माइल) भाग ओकटने अछि । ई प्रदेशक जनसङ्ख्या ५४,०४,१४५ रहल अछि जे एकरा नेपालक दोसर सभ सँ बेसी जनसङ्ख्या भेल प्रदेश बनौने अछि ।[१][२०]
मधेश प्रदेश कऽ सम्पूर्ण क्षेत्रफल समथर जमीन अछि आ जकरा तराई कहल जाएत अछि । ई प्रदेशक उत्तरी भागमे रहल नेपालक भित्री उपत्यका या शिवालिक पहाड़ एकर प्राकृतिक सीमारेखा छी । दक्षिणी भागमे ई भारतीय राज्य बिहार सँ जुड़ल अछि । पूर्वी भागमे अवस्थित कोशी नदी एकर कोशी प्रदेश सँ प्राकृतिक सीमाक काज करैत अछि । सामानान्तर रूप सँ मधेश प्रदेश मे आठ जिलासभ अवस्थित अछि । ई प्रदेशक मुख्य नदीसभ बागमती नदी, कमला नदी, लाखनदेई नदी, विष्णुमति नदी छी ।
मौसम
स्थान | अगस्त
(°फे) |
अगस्त
(°से) |
जनवरी
(°फे) |
जनवरी
(°से) |
वार्षिक
वर्षा (मिमी/इन्च) |
---|---|---|---|---|---|
गौर | ९१/७७.९ | २३/९.१ | ७३.४/४८.४ | ३२.८/२५.५ | १५९०.२/६२.६ |
सिराहा | ८९.६/७६.३ | ३२/२४.६ | ७२.१/४७.३ | २२.३/८.५ | १२९३.१/५०.९ |
वीरगञ्ज | ८४.७ | २९.३ | ६०.८ | १६ | १८६२.२/७३.३ |
जलेश्वर | ८४.४ | २९.१ | ६१.२ | १६.२ | १४९२.९/५८.८ |
मलङ्वा | ८४.४ | २९.१ | ६०.८ | १६ | १८१७.७/७१.६ |
जनकपुर | ८४.२ | २९ | ६०.८ | १६ | १५१६.५/५९.७ |
राजविराज | ८३.३ | २८.५ | ६०.४ | १५.८ | १२२३.३/४८.२ |
लाहान | ८३.३ | २८.५ | ६०.३ | १५.७ | १२३१.४/४८.५ |
सरकार आ प्रशासन
प्रादेशिक सरकारक प्रमुखक रूपमे मुख्यमन्त्री आ प्रदेशक मुख्यक रूपमे राज्यपाल काज करैत अछि । न्यायलयक मुख्य व्यक्तिक रूपमे जनकपुर उच्च अदालतक मुख्य न्यायधिश रहैत अछि ।[२२] मधेश प्रदेश कऽ वर्तमान राज्यपाल, मुख्यमन्त्री आ मुख्य न्यायधिश क्रमश: रत्नेश्वर लाल कायस्थ, मोहम्मद लालबाबु राउत आ उदय प्रकाश चापागाईं छथि ।[२३][२४] ई प्रदेशमे १०७ प्रदेश सभा निर्वाचन क्षेत्र आ ३२ प्रतिनिधि सभा निर्वाचन क्षेत्र अछि ।[२५]
नेपालक अन्य प्रदेश जका मधेश प्रदेश मे सेहो एकसदनीय विधान सभा अछि । प्रदेश सभाक कार्यकाल ५ वर्ष कायम कएल गेल अछि । मधेश प्रदेश कऽ विधान सभा अखन अस्थायी रूप सँ जनकपुरक जिला शिक्षा कार्यलयमे राखल गेल अछि ।[२६]
प्रशासनिक उपविभाग
मधेश प्रदेश कें आठ जिलामे विभाजित कएल गेल अछि । एक जिलाकें जिला समन्वय समितिक मुख्य आ जिला प्रशासनिक अधिकारीद्वारा शासित कएल जाएत अछि । सम्पर्ण जिलाकें दुई स्थानीय तह नगरपालिका आ गाउँपालिकामे विभाजित कएल गेल अछि । ई प्रदेशमे कूल १ महानगरपालिका, ३ उपमहानगरपालिका, ७३ नगरपालिका आ ५९ गाउँपालिका अछि ।[२७]
जिलासभक सूची
# | जिलाक नाम | अङ्ग्रेजी | मुख्यालय | जनसङ्ख्या (२०११) | क्षेत्रफल | वेबसाइट |
---|---|---|---|---|---|---|
१ | सप्तरी जिला | Saptari District | राजविराज | ६,३९,२८४ | १,३६३ किमी२ | [१] |
२ | पर्सा जिला | Parsa District | वीरगञ्ज | ६,०१,०१७ | १,३५३ किमी२ | [२] |
३ | सर्लाही जिला | Sarlahi District | मलङ्वा | ७,६९,७२९ | १,२५९ किमी२ | [३] |
४ | बारा जिला | Bara District | कलैया | ६,८७,७०८ | १,१९० किमी२ | [४] |
५ | सिराहा जिला | Siraha District | सिराहा | ६,३७,३२८ | १,१८८ किमी२ | [५] |
६ | धनुषा जिला | Dhanusha District | जनकपुर | ७,५४,७७७ | १,१८० किमी२ | [६] |
७ | रौतहट जिला | Rautahat District | गौर | ६,८६,७२२ | १,१२६ किमी२ | [७] |
८ | महोत्तरी जिला | Mahottari District | जलेश्वर | ६,२७,५८० | १,००२ किमी२ | [८] |
मुख्य शहरसभ
क्रम | जिला | जनसङ्ख्या | क्रम | नाम | जिला | जनसङ्ख्या | |||
---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|
वीरगञ्ज जनकपुर |
१ | वीरगञ्ज | पर्सा | २,४०,९२२ | ११ | बर्दिवास | महोत्तरी | ६६,३५४ | कलैया जीतपुर सिमरा |
२ | जनकपुर | धनुषा | १,५९,४६८ | १२ | ईश्वरपुर | सर्लाही | ५९,९८६ | ||
३ | कलैया | बारा | १,२३,६५९ | १३ | लालबन्दी | सर्लाही | ५९,३९५ | ||
४ | जीतपुर सिमरा | बारा | १,१७,४९६ | १४ | जलेश्वर | महोत्तरी | ५८,५४९ | ||
५ | लहान | सिराहा | ९१,७६६ | १५ | महागढीमाई | बारा | ५४,४७४ | ||
६ | सिराहा | सिराहा | ८२,५३१ | १६ | गोलबजार | सिराहा | ५१,१३७ | ||
७ | चन्द्रपुर | रौतहट | ७२,०५९ | १७ | गरुडा | रौतहट | ५०,४८१ | ||
८ | बरहथवा | सर्लाही | ६९,८२२ | १८ | मिर्चैया | सिराहा | ५०,०७९ | ||
९ | राजविराज | सप्तरी | ६९,०८६ | १९ | सिम्रौनगढ | बारा | ४९,९३९ | ||
१० | गौशाला | महोत्तरी | ६६,६७३ | २० | मनारा सिस्वा | महोत्तरी | ४९,६९२ |
भाषा आ धर्म
यातायात
सन्दर्भ सामग्रीसभ
- ↑ १.० १.१ Law, G. (2015)। "Provinces of Nepal"। statoids.com। अन्तिम पहुँच 23 February 2018।
- ↑ २.० २.१ "National Population and Housing Census 2011" (PDF)। Central Bureau of Statistics। मूल (PDF)सँ 1 August 2014 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 1 March 2014।
{cite web}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ ३.० ३.१ Burghart, R. (1978). The disappearance and reappearance of Janakpur. Kailash: A Journal of Himalayan Studies 6 (4): 257–284.
- ↑ Rastriya Samachar Samiti (2004). "More Indian tourists visit Janakpurdham". Himalayan Times, 17 January 2004.
- ↑ "राजविराज नगरपालिका"। विकिपिडिया (नेपालीमे)। 2017-10-06।
- ↑ "राजविराज नगरपालिका, नगर कार्यपालिकाकाे कार्यालय | मधेश प्रदेश, नेपाल सरकार"। www.rajbirajmun.gov.np (नेपालीमे)। मूलसँ 2018-03-05 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2018-03-03।
- ↑ "Rajbiraj revisited − Nepali Times"। nepalitimes.com। अन्तिम पहुँच 2018-03-03।
- ↑ "Birgunj Metropolitan City official Website"। birgunjmun.gov.np।
- ↑ "Biratnagar, Birgunj promoted to Metropolitan Cities"। The Himalayan Times। 2017। अन्तिम पहुँच 25 June 2017।
- ↑ "Possible headquarters of states"। onlinekhabar.com।
- ↑ "Where will Province Chief live?"। Naya Patrika Nepal's National News।
- ↑ "Possible Province headquarters"। BroadNepal News Bnn।
- ↑ "कुन प्रदेशको राजधानी कहाँ ?"। Himalayan Kangaroo। मूलसँ 2019-11-23 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2018-05-31।
{cite web}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ "Places proposed for temporary capitals of all seven provinces - News, sport and opinion from the Kathmandu Tribune's global edition"। News, sport and opinion from the Kathmandu Tribune's global edition (अमेरिकी अंग्रेज़ीमे)। 2018-01-02। अन्तिम पहुँच 2018-03-03।
- ↑ "Raut appointed Chief Minister of province-2 - News, sport and opinion from the Kathmandu Tribune's global edition"। News, sport and opinion from the Kathmandu Tribune's global edition (अमेरिकी अंग्रेज़ीमे)। 2018-02-14। अन्तिम पहुँच 2018-03-13।
- ↑ "Lalbabu Raut to be sworn in Province 2 CM today"। The Himalayan Times (अमेरिकी अंग्रेज़ीमे)। 2018-02-14। अन्तिम पहुँच 2018-03-13।
- ↑ Yadav, S. (2018)। "Province 2 struggles to reach consensus on its name"। Nepal Republic Media Pvt. Ltd। अन्तिम पहुँच 29 March 2018।
- ↑ "Big 3 draw new 7-province map"। Republica। 22 Aug 2015। अन्तिम पहुँच 26 June 2017।
- ↑ "Statistical Year Book 2015 by CBS Nepal"। Central Bureau of Statistics(CBS)। मूलसँ 13 September 2018 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 26 June 2017।
- ↑ "The population of the provinces of Nepal according to census results and latest official projections."। City Population। 29 Dec 2015। अन्तिम पहुँच 26 June 2017।
- ↑ "Nepal Travel Weather Averages (Weatherbase)"। Weatherbase। अन्तिम पहुँच 2018-04-28।
- ↑ "High Courts get their chief judges" (अङ्ग्रेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2018-04-27।
{cite news}
: CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ "Lalbabu Raut appointed as Chief Minister of Province-2"। My Republica (अङ्ग्रेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2018-04-27।
{cite news}
: CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ "President of Nepal administers oath to Chiefs of seven provinces | DD News"। ddnews.gov.in (अङ्ग्रेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2018-04-27।
{cite web}
: CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ "CDC creates 495 constituencies"। The Himalayan Times (अङ्ग्रेजीमे)। 2017-08-31। अन्तिम पहुँच 2018-04-27।
{cite news}
: CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ "First Provincial Assembly meeting begins in 4 provinces" (अङ्ग्रेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2018-04-27।
{cite news}
: CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ "स्थानिय तह"। 103.69.124.141। अन्तिम पहुँच 2018-04-27।
बाह्य जडीसभ
विकिमिडिया कमन्समे मधेश प्रदेशसँ सम्बन्धित मिडिया अछि।आकृति:Preview warning |